जनवितरण क लेल एसडीओ उत्तरदायी

पटना। जनवितरण प्रणाली क प्रति अनुमंडलाधिकारी कए उत्तरदायी बनाउल गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एक अणे मार्ग मे जनवितरण प्रणाली क मसला पर उच्चस्तरीय बैठक केलथि। बैठक मे राशन कूपन आ किरासन कूपन क मसला पर विशेष गप भेल। अधिकारी कए निर्देश देल गेल जे कूपनधारी कए कोनो परेशानी नहि हुए, एकरा लेल मुकम्मल व्यवस्था कएल जाए। बैठक क बाद मुख्यमंत्री कहलथि जे अनुमंडलाधिकारी कए जनवितरण प्रणाली क लेल उत्तरदायी बनाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments