जनवरी मे चालू भ जाएत बलुआहा – गंडौल सड़क

दरभंगा । सहरसा स दरभंगा क संबंध केतबा पुरान अछि इ कहबाक आवश्‍यकता नहि, मुदा नदी क धार क कारण दूनू जिला सीधा सडक संपर्क स आइ धरि नहि जुडि सकल अछि । दूनू जिलाक लोक लेल सीधा सडक संपर्क एकटा ड्रीम प्रोजेक्ट अछि जाहि पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क सेहो नजरि अछि। आखिरकार एहि परियोजना पर काज शुरू क देल गेल अछि। एकर तहत सहरसा बलुआहा स दरभंगा क बिरौल कोठी तक क सड़कअधिग्रहण क कार्य कए अंतिम रूप देल जा रहल अछि । एहि सड़क कए दू भाग मे बांटि कए निर्माण पूरा करबा लेल पुल निर्माण निगम कए अधिकृत कैल गेल अछि। संगहि बलुआहा स गंडौल तक क सड़क क उद्घाटन क तिथि सेहो तय भ गेल अछि। एहि सड़क क उद्घाटन 14 जनवरी 2014 कए होएत। ओतहि गंडौल स बिरौल क कोठी पुल तक क सड़क 2015 तक बनि जाएत। बिरौल क कोठी पुल पर प्रस्तावित निर्माण स्थल क जायजा लेबा लेल आयल पूर्व विधान पार्षद संजय झा कहला जे एहि ड्रीम प्रोजेक्ट कए पूरा भेला स कटिहार, पूर्णिया, सहरसा आ मधेपुरा सन जिला दरभंगा स नजदीक भ जाएत।
पुल निर्माण निगम क अधिकारी श्रीकात शर्मा कहला जे गंडौल स बिरौल तक 13.6 किमी. क सड़क 10 मीटर चौडा बनत। एहि मे 11 पुलिया 3 पैघ पुल आ 22 कल्वर्ट क निर्माण होएत जाहि पर 332 करोड़ क लागत आउत।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments