जनता निहारि रहल आसमान, राजा भरि रहलाह उड़ान

पटना । बिहार में आजादी से पूर्वहि करीब 24टा एयरपोट आ रनवे छल जाहि ठाम स राजा महाराज अपन जहाज से उड़ान भरैत छलाह आ जनता टकटकी लगा आसमान निहारैत छल। एहि चुनावी मौसम पर आजादीक पूर्व क इ नजारा एक बेर फेर ताजा भ जाइत अछि। पटना आ गया एयरपोर्ट जनता लेल खुलल अछि मुदा उत्‍तर बिहार में कोनो एयरपोर्ट जनता लेल नहि अछि, जखनकि पटना एयरपोर्ट पर करीब 65फीसदी यात्री उत्‍तर बिहार क होइत छथि जे गंगा सेतू क जाम कए झेलबा लेल मजबूर छथि। गरमी आ जाम स छटपट करैत एहन जनता आइ जखन आसमान दिस दखैत अछि त ओकरा कईटा उडैत हेलीकॉप्‍अर आ जहाज देखा जाइत अछि जाहि पर राजा गंगा क एहि पार स ओहि पार उड़ैत पहुंच जाइत छथि। हुनका लेल कईटा रनवे अछि आ कईटा हेलीपैड। एहि राजा सबहक उड़ान स पटना एयरपोर्ट क आमदनी सेहो बढल अछि, मुदा राजाक सवारी एयरपोर्ट हैंकर मे नहि ढार भ स्‍टेट हैंगर में ढार भ रहल अछि। जाहि स एयरपोर्ट कए हैंकर शुल्‍क देबा स इ राजा लोकनि बचि जाइत छथि। ल द कए लैंडिंग आ रूट नेविएशन शुल्‍क चुका रहल छथि। मोदी, सोनिया आ राहुल सन महाराजा तक हवाई जहाज स ओहि रनवे पर उतरि रहल छथि जहि पर उतराबाक लेल जनता पता नहि केतबा दिन स सपना सजेने अछि। पटना, गया के अलावा आरा, दरभंगा, पूर्णिया आ भागलपुर एयरपोर्ट भेल जनता लेल उपलब्‍ध नहि अछि मुदा एहि राजा सब लेल इ सदा उपलब्‍ध रहैत अछि। एकटा राजा क बनाउल एहि एयरपोर्ट सब पर दोसर राजा धड़ल्‍ले से उड़ान भरि रहल अछि, मुदा जनता एखनो आसमान निहारबा लेल मजबूर अछि। जनता लेल इ आधारभूत संरचना कखनो सुरक्षा क कारण स त कखनो विभागीय उदासीनता स अनुपयोगी बताउल जाइत रहल अछि। विदेश स उडि कए आयल आ गांधी सेतु पर गर्मी आ जाम में फंसल उत्‍तर बिहार क जनता लेल लोकतंत्र में जनता राजा होइत अछि इ सिद्धांत किताबी अछि, किया त आसमान पर एखनो राजा क सवारी अछि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments