जदयू कार्यकारिणी समिति क घोषणा

पटना। बिहार प्रदेश जदयू कार्यकारिणी समिति क घोषणा भ गेल। एहि मे कुल 75 सदस्य छथि। विजय कुमार चौधरी कए एहि कार्यकारिणी समिति क अध्यक्ष बनाउल गेल छथि। एकर अलावा 42 उपाध्यक्ष, 87 महासचिव, 9 प्रवक्ता, 1 कोषाध्यक्ष सहित हरि प्रसाद साह कए राज्य संसदीय बोर्ड क अध्यक्ष चुनल गेल अछि। एकर अलावा समिति मे युवा आ छात्र मोर्चा संगठन आओर 9 प्रकोष्ठ जाहिमे महिला, अल्पसंख्यक, अतिपिछड़ा वर्ग, किसान, महादलित, दलित, सांस्कृतिक आ खेल-कूद क सेहो गठन कैल गेल अछि। एकर संगहि पूर्व मे जाहि जिला क अध्यक्ष क मनोनयन स्थगित छल, हुनको चुनि लेल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments