जखन स्कूलक लड़की सब खदेड़ देलक माओवादी कए

गया । समाद आइ स तीन साल पहिने लिखने छल जे बिहार मे माओ नहि मैकाले क धूम अछि, एकर गवाह बनल गया जिला। बिहार क गया जिला क मैगरा थाना क्षेत्र मे अवस्थित एकटा सरकारी स्कूल मे स्वतंत्रता दिवस क अवसर फ़हराउल गेल तिरंगा कए उतारिकए उल्टा फ़हरेनिहार माओवादी कए स्कूल क छात्रा सब खदेड़ कए भगा देलक। एहि घटना कए स्थानीय मीडिया छोडि सब दबा देलक। समाद जखन एहि विषय मे जानकारी लेबाक कोशिश केलक त पुलिस अधीक्षक दलजीत सिंह कहला जे मैगरा स्थित स्कूल मे तिरंगा फ़हरेलाक बाद स्वतंत्रता दिवस क बहिष्कार क अपन घोषणा कए लागू करबा लेल मोटरसाइकिल पर सवार भ चारिटा माओवादी स्कूल परिसर पहुंचलाह आ तिरंगा कए उतारिकए ओकरा उल्टा फ़हरेबा मे लागि गेलाह। ओ राष्ट्र विरोधी नारा सेहो लगा रहल छलाह। एहि बीच स्कूलक छात्रा सबहक ध्यान माओवादी पर गेल आ ओ माओवादी स लोहा लैत तिरंगा कए सीधा फहरा चारू नक्सली कए स्कूल परिसर स खदेड़ देलथि । स्कूलक छात्रा सबहक हिम्मत देखी
आसपास क अन्य ग्रामीण इकठ्ठा भ गेलाह आ ओ सेहो माओवादी सब कए खदेड़बा मे स्कूलक छात्रा सबहक मदद केलथि, एहि दौरान नक्सली गोलीबारी सेहो केलथि, मुदा कियो हताहत नहि भेल। छात्रा सब काफी दूर त नक्सलीक पाछु गेलथि आ नक्सली गतिविधि क खिलाफ़ मैगरा मे प्रदर्शन सेहो केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments