जखन जनता ल लेकक अपन-अपन हिस्सा

पटना । उत्तरप्रदेश क तर्ज पर बिहार मे सहो सौ-सौ टकाक नोट स बनल माला जदयू स निलंबित सांसद डॉ एजाज अली कए एयरपोर्ट पर गला मे देल गेल। मुदा एजाज अली माला ग्रहण केलाक बाद पत्रकार स इ कहबा स वंचित रहलाह जे समर्थक क दिस स भेटल इ मालारूपी टका स गरीब जनताक विकास करब। कारण रहल जे ओहि ठाम उपस्थित जनता ओहि माला मे स अपन-अपन हिस्सा लैत गेल आ माला मे गुथल फूल टन नेताजीक गला मे रहि गेल। नेता जी जनताक एहि सोच स परिचित नहि छलाह। जनताक एहि काज कए ओ लूटक नाम द देलथि। जनता नेताजीकएहि गप स दुखी अछि। जनताक कहब छल जे नेताजी त हमरे सब पर खर्च करबाक गप पत्रकार सब स कहबाक विचार केने छलाह। हम सब नेताजी कए काज आसान करि देलहुं आ अपन-अपन हिसा अपने ल लेलहुं। कहल जा रहल अछि जे एहि माला मे कुल एक लाख क नोट गुंथल छल। एहि संबंध मे पूछला पर डॉ एजाज अली कहला जे गरीब, पिछड़ा, दलित आ अकलियत सब किछ टका जमाकरि हमरा माला पहिरा सम्मान करै चाहैत छल, मुदा विरोधी पार्टीक लोक भीड़ मे शामिल भ माला लूटि लेलथि किया कि ओ हमर सम्मान नहि देखए चाहैत छथि ओ कहला अगर टका क माला हुनका द देल जइतै त ओहि टका स ओ पिछड़ा, दलित, अल्पसंख्यक समुदाय क महिला क लेल नुआ कीन बांटी देबाक काज करितहुं, मुदा इ संभव नहि भ सकल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments