छह मास मे तैयार भ जाएत स्टेट डाटा सेंटर

पटना : सूचना प्रावैधिकी आ अल्सपंख्यक कल्याण मंत्री शाहिद अली खान कहला अछि जे छह मास मे स्टेट डाटा सेंटर बनि कए तैयार भ जाएत। एहि पर 20 करोड़ टका खर्च भ रहल अछि। खान स्टेट डाटा सेंटर क शिलान्यास क बाद पत्रकार कए संबोधित क रहल छलाह। खान कहला जे एहि डाटा सेंटर स राज्य क सबटा विभाग जुडत। इ सेंटर डाटा आ सूचना कए स्टोर क रूप मे विकसित होएत। कोनो विभाग कए अलग स डाटा सेंटर क स्थापना क जरुरत नहि रहत। सूचना आ प्रावैधिकी क क्षेत्र मे डाटा सेंटर मील क पाथर साबित होएत। बिहार क विकास मे आइटी क अहम भूमिका अछि। एहि अवसर पर बेल्ट्रान क प्रबंध निदेशक अतुल सिन्हा, प्रधान मुख्य वन संरक्षक बी.ए. खान आ प्रदूषण पर्षद क अध्यक्ष डा. सुभाष चन्द्र सिंह विधायक पूनम देवी आदि उपस्थित छलथि।
maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments