छह दिन लेल बंद भेल वीर कुंवर सिंह सेतु पर भारी वाहन क परिचालन

बक्सर । यूपी स बिहार कए जोड़निहार वीर कुंवर सिंह सेतु मरम्मत लेल बंद भ गेल। एहि पर स भारी वाहन क आवाजाही पर रोक लगा देल गेल अछि। कहल जा रहल अछि जे एहि सेतु क हिंज-बेयरिंग बदलल जा रहल अछि। एकर सूचना पुल निर्माण निगम जिला प्रशासन कए द देने छल।
स्थानीय लोकक कहब अछि जे एहि पूल क निर्माण 1977 मे भेल छल। तीस साल स बेसी आयु पूरा करि चुकल एहि पुल मे आवाज आबि गेल छल। जखन, कोनो भारी वाहन गुजरैत छल त ओकर भार स हिंज बेयरिंग मे खिंचाव अबैत छल। जाहि स पाया कए नुकसान भ रहल छल। जेकरा देखैत पुल निर्माण निगम एकर मरम्मत क लेल आगू आयल अछि। मरम्मत क शुरूआत भ गेल अछि, जे पांच सितम्बर तक चलत। अगर एहि दौरान कार्य पूरा नहि भ सकल त एकर अवधि क विस्तार सेहो संभव अछि। ओनो आवागमन पूर्णतः ठप नहि हुए, एकर व्यवस्थ कैल गेल अछि आ छोट आ दू पहिया वाहन क परिचालन जारी रहत। एहि पुलक बंद भेला स गाजीपुर, वाराणसी, मउ, जौनपुर आदि जगह स होइवाला व्यवसाय पर असर पडत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments