छह कए गांधी मैदान मे लागत सितारा कए मेला

sangram-of-judges
पटना। भोजपुरी मनोरंजन चैनल ‘महुआÓ क रिएलिटी शो ‘सुर संग्रामÓ क फाइनल छह नवम्बर कए राजधानी क ऐतिहासिक गांधी मैदान होइत। एकरा लेल विशेष प्रकाश व्यवस्था आ अन्य सुविधा स लैस मंच क निर्माण भ रहल अछि। एहि तरहक कार्यक्रम पहिल बेर पटना मे आयोजित भ रहल अछि, ताहि लेल आम लोक मे एकरा ल कए काफी उत्साह अछि। करीब एक लाख वर्गफीट भू-भाग मे लोकक बैसबा लेल व्यवस्था रहत, मुदा एहि मे भाग लेबा लेल चैनल क दिस स पास निर्गत भ रहल अछि। चैनल क जन संपर्क अधिकारी प्रशांत-निशांत कहला अछि जे कार्यक्रम क मुख्य अतिथि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हेताह, जखनकि राजद अध्यक्ष लालू प्रसाद आ लोजपा प्रमुख रामविलास पासवान विशिष्ट अतिथि क रूप मे रहताह। छह बजे शाम स ‘सुर संग्रामÓ शुरू होइत आ राति दस बजे तक विजेता क नाम घोषित करि देल जाइत। फाइनल क प्रतिभागी यूपी क मोहन राठौर आ बिहार(बेगूसराय) क आलोक कुमार विशेष प्रस्तुति देताह। भोजपुरी सिनेस्टार रविकिशन आ अदाकारा श्वेता तिवारी कार्यक्रम क संचालन करतथि। एहि मौका पर भोजपुरी क सुपर स्टार मनोज तिवारी ‘मृदुलÓ, निदेश लाल यादव ‘निरहुआÓ, अभिनेत्री पाखी हेगड़े, गायिका मालिनी अवस्थी और नृत्यांगना संभावना सेठ सेहो शामिल रहतथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें