छहड़ पर सड़क लेल नाबार्ड देत 335 करोड़

पटना । तटबंध पर पक्का सड़क निर्माण क लेल वर्तमान वित्तीय वर्ष मे नाबार्ड स 335 करोड़ क सहायता भेटत, एकर संभावना अछि। राज्य सरकार एकटा प्रस्ताव पिछला साल देने छल, परंच राशि क स्वीकृति नहि भ सकल। एहि प्रस्तावक तहत उत्तर बिहार मे बाढ़ स सुरक्षा क लेल निर्मित तटबंध क निगरानी मे सहूलियत होएत। जल संसाधन विभाग क अनुसार तटबंध पर पक्का सड़क नहि रहबा स बरसात मे सामग्री पहुंचेबा मे काफी मुश्किल होइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments