छहटा बस स्टैंड मे बनत कामर्शियल काम्पलेक्स

पटना। बिहारक छह टा बसअडडा पर जल्‍द मल्टीप्लेक्स, रेस्टोरेंट आ अन्य यात्री सुविधा देखबा मे भेटत। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम अपन पटना, दरभंगा, गया, छपरा, भागलपुर आ मुजफ्फरपुर बसअडडा कए हाइटेक करए जा रहल अछि। बिहार राज्य पथ परिवहन निगम पटनाक बांकीपुर डिपो सहित राज्‍य मे छहटा डिपो कए अंतरराष्ट्रीय स्तर क बस टर्मिनल कम कामर्शियल काम्पलेक्स मे बदलबा लेल प्रयास शुरू कए देलक अछि। योजनाक अनुसार एहि ठाम अत्याधुनिक यात्री सुविधा सहित खरीदारी क सुविधा भेटत। देश मे अपन तरह इ इ असगर बस डिपो होएत। पीपीपी योजना क अधीन एकर निर्माण डिजाइन, बिल्ड,फाइनेंस, आपरेट, ट्रांसफर (डीबीएफओटी) आधार पर कैल जाएत। निगम एकरा लेल अंतरराष्ट्रीय स्तर क बिल्डर लेल रिक्वेस्ट फार क्वालिफिकेशन (आरएफक्यू) निकाललक अछि। एहि काज मे निगम फीडबैक वेंचर्स प्रा.लि. नामक एजेंसी क मदद ल रहल अछि। बिल्डर पर एकर प्लानिंग, डिजाइनिंग, निर्माण, मार्केटिंग आ बस डिपो क संचालन क जिम्मेदारी रहत। परिवहन निगम बस डिपो क इस्तेमाल स होइवाला आय क एक हिस्सा वसूल करत। एकर अतिरिक्त कामर्शियल काम्पलेक्स मे बनल दुकानक किराया, सिक्योरिटी डिपोजिट, मेनटेनेंस चार्ज, विज्ञापन स होइवाला आय, पार्किंग शुल्क आ काम्पलेक्स स होइवाला अन्य आय मे निगम क हिस्सेदारी रहत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments