छपरा आ भागलपुर मे 1100 करोड़ क लागत स बनत पुल

पटना। राज्य सरकार सोनपुर आ भागलपुर मे करीब 1100 करोड़ टका क लागत स गंगा आ कोसी नदी पर पुल बनेबाक फैसला केलक अछि। मंत्रिपरिषद क बैठक मे पुल निर्माण क प्रस्ताव कए प्रशासनिक स्वीकृति प्रदान कैल गेल।
पटना-आरा एनएच-30 आ एनएच-19 कए जोड़निहार (सोनपुर-छपरा) वाया बबुराघाट-डोरीगंज पुल पहुंच पथ क संग करीब 17.8 किलोमीटर लंबा होएत। गंगा नदी पर बनएवाला एहि पुल क निर्माण पर 676 करोड़ क खर्च आउत। ओतहि भागलपुर क नौगछिया मे विजय घाट क लगमे कोसी नदी पर पहुंच पथ सहित 12 किलोमीटर लंबा पुल पर 367.80 करोड़ क खर्च आउत। बैठक मे दूनू पुल क संबंध मे प्रशासनिक स्वीकृति प्रदान कैल गेल।

लागत कोचिंग संस्थान पर लगाम
बैठक मे एकटा अन्य महत्वपूर्ण निर्णय क तहत कोचिंग संस्थान पर विधानमंडल क चालू सत्र मे विधेयक पेश करबाक निर्णय लेल गेल। विधेयक क प्रस्ताव कए कैबिनेट क मंजूरी द देल गेल। आब कोचिंग संस्थान क मनमानी नहि चलि सकत। कोचिंग संस्थान पर लगाम रखबाक लेल कोचिंग नियंत्रण विधेयक कए सेहो कैबिनेट स्वीकृति प्रदान करि देलक। विधानमंडल क चालू सत्र मे एहि विधेयक कए पेश आ पास कराउल जाएत। नियंत्रण क लेल जिलाधिकारी क अध्यक्षता मे कमेटी रहत। हर संस्थान जतए दस स अधिक छात्र अछि, कए निबंधन अनिवार्य कैल जा रहल अछि। निबंधन तीन साल क लेल होएत। सीबीएसई क भांति ओहि संस्थान कए छात्र क बैसबा क व्यवस्था, पेयजल आ शौचालय क इंतजाम करबाक मजबूरी होएत। प्रावधान क अवहेलना करिनिहार क खिलाफ आर्थिक दंड क प्रावधान विधेयक मे कैल गेल अछि।

लीनियर एक्सिलेटर कीनत सरकार
कैंसर क बेहतर उपचार क लेल पटना क इंदिरा गांधी आयुर्विज्ञान संस्थान मे 18 करोड़ क लागत स लीनियर एक्सिलेटर कीनबा लेल राशि क स्वीकृति द देल गेल अछि। बिहार मे एहि तरह क पहिल आधुनिक मशीन कीनल जा रहल अछि। एकर संग-संग मल्टीप्लैक्स क लेल मनोरंजन कर मे छूट क अवधि कए 2010 स बढ़ाकए 2012 तक क लेल विस्तार करि देल गेल अछि। बिहार क औद्योगिक नीति क तहत नव आ रुग्ण उद्योग कए बिजली स संबंधित मासिक आ वार्षिक न्यूनतम गारंटी मे छूट क प्रतिपूर्ति क राशि क स्वीकृति द देल गेल अछि। नगर निकाय क बकाया बिजली बिल क भुगतान क लेल सेहो 113 करोड़ क मंजूरी द देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments