छठम वेतन आयोग क सिफारिश लागू

पटना। बिहार मंत्रिमंडल क बैठक मंगलदिन अंतरराष्टï्रीय पर्यटक स्थल राजगीर स्थित रत्नागिरी पर्वत पर भेल। एहि बैठक मे कुल 31टा मामला पर चर्चा भेल आ एहि मे छठम वेतन आयोग क सिफारिश कए राज्य मे लागू करबाक मंजूरी दकए राज्य क सरकारी कर्मचारी कए नव वर्ष क सनेस देल गेल। राज्य सचिवालय क एकटा अधिकारीकहला जे नालंदा जिले क राजगीर स्थित शांति स्तूप क निकट भेल एहि बैठक मे राज्य क सरकारी कर्मचारी कए छठम वेतन आयोग क सिफारिश क अनुसार, वेतन देबाक निर्णय लेल गेल। एकर अलावा बैठक मे राजगीर मे जल निकासी क लेल उचित व्यवस्था क लेल मंत्रिमंडल 77 करोड़ टका क मंजूरी देलक अछि। एकर अतिरिक्त बिहार क इतिहास मे पहिल बेर पहाड़ पर भेल मंत्रिमंडल क एहि बैठक मे राज्य क कईटा गाम कए पर्यटन स्थल क रूप मे विकसित करबाक निर्णय सेहो लेल गेल अछि। बैठक मे देश क पहिल राष्ट्रपति डॉ राजेन्द्र प्रसाद क जन्मदिन तीन दिसंबर कए ‘मेधा दिवसÓ क रूप मे मनेबाक निर्णय लेल गेल।
उल्लेखनीय अछि जे मंगलदिन रत्नागिरी पर्वत पर राज्य क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जतय हेलीकॉप्टर स पहुंचलाह, ओतहि अन्य मंत्री रोपवे स एलाह। एकर अलावा 200 अधिकारी क टीम सेहो रत्नागिरी पर मौजूद छल। मंत्रिमंडल क बैठक क मद्देनजर रत्नागिरी पर्वत क चारू दिस सुरक्षा क पुख्ता इंतजाम छल। ज्ञात हुए जे एहि स पूर्व गत 10 फरवरी कए मुख्यमंत्री क विकास यात्रा क दौरान राजधानी स बाहर बेगूसराय जिला क एकटा गाम मे मंत्रिमंडल क बैठक भेल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments