चुनाव स पहिने सनेसक बरखा

पटना । बिहार मे चुनाव आचार संहिता लागू हेबाक ठीक पहिने नीतीश कुमार कईटा लोकलुभावन फैसला लेलथि अछि। मंगलदिन भेल कैबिनेट क बैठक मे बंद पड़ल तीन चीनी मिल कए चालू करबा समेत कुल 23टा प्रस्ताव पारित कैल गेल।
मुख्यमंत्री क अध्यक्षता मे भेल बैठक मे बिहार राज्य चीनी निगम क बंद पड़ल तीनटा चीनी मिल कए लंबा लीज पर निजी कंपनी कए सौंपबाक निर्णय लेल गेल। एकर तहत मोतीपुर चीनी मिल इंडियन पोटास लिमिटेड, बनमनखी मिल फूड पार्क क रूप मे विकसित करबा लेल एलएमजे इंटरनेशनल प्राइवेट लिमिटेड आ बिहटा चीनी मिल मे औद्योगिक पार्क खोलबा लेल प्रिस्टिन लॉजिस्टिक नामक निजी कंपनी कए लंबा लीज पर हस्तांतरित करि देल गेल। हिनका क्रमशः 56.20 करोड़, 26.24 करोड़ आ 23.16 करोड़ टका क राशि क एवज मे चीनी मिले सौंपल गेल अछि। संगहि एहि मिल क कर्मी कए हुनकर बकाया क भुगतान सेहो संबंधित निजी कंपनी करत।
कैबिनेट कॉलेज-विश्वविद्यालय कर्मी कए 1 जनवरी, 2006 स केन्द्रीय वेतनमान देबाक प्रस्ताव पारित करि देलक। औद्योगिक प्रोत्साहन नीति 2006 क तहत 105.61 करोड़ टका सहायक अनुदान राशि क रूप मे स्वीकृत केलक। एहि राशि स उद्यमी कए वैट क छूट, विद्युत शुल्क मे छूट जइसन सुविध देल जाएत। ओतहि एकटा महत्वपूर्ण फैसला मे बीमा चिकित्सा संघ क डॉक्टर क सेवानिवृत्ति क उम्र सीमा 60 वर्ष स बढ़ाकए 62 वर्ष करबाक प्रस्ताव पारित करि देल गेल। संगहि पुलिस आधुनिकीकरण क लेल 62.50 करोड़ टका सेहो मंजूर कैल गेल। मनरेगा आ जिला ग्रामीण विकास अभिकरण क स्वीकृत पद क विरुद्ध अनुबंध पर कार्यत्म पदाधिकारी क नियुक्ति क प्रस्ताव पारित कैल गेल।
नीतीश कैबिनेट राजगीर मे नव रज्जूमार्ग क लेल 10.84 करोड़ मंजूर केलक। एकटा अन्य महत्वपूर्ण फैसला मे राज्य क 12टा स्थान पर रेल ऊपरि पुल क लेल राज्य सरकार क अंशदान स्वीकृत कैल गेल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments