चीन-बिहार संबंध स भेटत पर्यटन कए बढ़ावा

पटना। चीनी काउंसल जनरल झांग लीहांग कहला अछि जे चीन आ बिहार मे बेहतर संबंध भेला स दूनू जगहकए कई क्षेत्र मे लाभ भ सकैत अछि। खासकए पर्यटन क क्षेत्र मे बिहार अधिक स अधिक चीनी पर्यटक कए आकर्षित करि सकैत अछि। ओतहि बिहार चीन क लेल इलेक्ट्रानिक गुड क एकटा पैघ बाजार बनि सकैत अछि। ओ कन्फेडरेशन आफ इण्डियन इण्डस्ट्री क दिस स राजधानी मे आयोजित एकटा कार्यक्रम मे बाजी रहल छलाह। लीहांग कहला जे भारत आ चीन मे प्राचीन काल स संबंध रहल अछि। बिहार मे इलेक्ट्रानिक सामग्री क मांग अछि। एकटा सवाल क जवाब मे लीहांग कहला जे चीन मे सस्ता मजदूरी भेला स सस्ता उत्पाद तैयार कैल जाइत अछि। ओ कहला जे बिहार बदलि रहल अछि। एकर बदलाव पर सबहक नजर अछि। कार्यक्रम मे आयल पाहुन क स्वागत सीआईआई क प्रदेश अध्यक्ष सत्यजीत कुमार केलथि। एहि स पहिने चीनी काउंसल पटना वीमेंस कालेज क सेहो दौरा केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

Comments are closed.