चिडिया घर मे भेटत सिनेमाक आनंद

पटना । संजय गांधी जैविक उद्यान मे वन्य जीव कए देखबाक संगहि आब हुनका पर बनल आकर्षक आओर जानकारी पूर्ण देशी- विदेशी फिल्म सेहो देखबा लेल भेटत। वित्तीय वर्ष 2012-13 क कार्य योजना मे चिड़िया घर मे एकटा थ्री डी मूवी थियेटर क निर्माण सेहो शामिल कैल गेल अछि। चालू वित्तीय वर्ष मे उद्यान क रूप बदलल बदलल जेकां लागत। टिकट लेल सेहो मेट्रो रेल क तर्ज पर इलेक्ट्रानिक टिकटिंग प्रणाली लागू भ रहल अछि। शिशु रेल स्टेशन क कायाकल्प पूरा भ चुकल अछि। पुरानका झील मे फौवारा लगाउल जा रहल अछि। मछलीघर कए आधुनिक बनाउल जा रहल अछि। उद्यान क निदेशक अभय कुमार कहला अछि जे चालू वित्तीय वर्ष मे नंदन कानन जू स चिम्पैंजी अनबाक फैसला लेल गेल अछि। ओ कहला जे वर्ष 2011-12 मे 18 लाख 16 हजार दर्शक एहि ठाम एलाह। एहि स उद्यान प्रशासन कए तीन करोड़ 54 लाख टका राजस्व प्राप्त भेल । जखनकि राजस्व प्राप्ति क लक्ष्य मात्र दू करोड़ 54 लाख निर्धारित छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments