चार्टेड विमान रनवे स फिसलल, नहि शुरू भेल सेवा

darbhanga1दरभंगा। मिथिलांचल कए सीधा पटना स जोड़बाक उद्देश्य स आइ स आरंभ होए वाला विमान सेवा कए अचानक ओहि समय स्थगित करैय पड़ल जखन चार्टेड विमान तकनीकी खराबी क कारण रनवे स फिसली कए झाड़ी मे फंसी गेल । हालांकि एहि दुर्घटना मे कोई हताहत नहि भेल। आधिकारिक सूत्र कहैत अछि जे निजी क्षेत्र क स्प्रीट इंडिया एयरलाईंस प्राईवेट लिमिटेड आइ स दरभंगा आ पटना क बीच सीधा हवाई सेवा शुरू करबाक घोषणा केने छल,मुदा सेवा शुरू करबा स पूर्व जखन तीन सीट वाला चार्टेड विमान आइ दोपहर स्थानीय एयर फोर्स रनवे पर उतरि रहल छल, तखने ओहि मे तकनीकी खराबी आबि गेल। एहि कारण विमान हवाई पट्टी स उतरि कए निकटवर्ती झाड़ी मे फंसि गेल।
सूत्र कहैत अछि जे एहि दुर्घटना मे हवाई जहाज क अभियंता एस दूबे मामूली रूप स घायल भेलाह अछि। विमान क पायलट किंगस्ले रजी पूर्ण रूप स सुरक्षित छथि। एहि स पूर्व वायु सैनिक हवाई अड्डा पर सेवा शुरू करबा लेल निजी कंपनी मुख्यालय स अनापत्ति प्रमाण पत्र हासिल केने अछि, जेकर बाद इ सेवा शुरू भ रहल छल।
एहि बीच एयर फोर्स बेस क कमान अधिकारी रमण कुमार सिंह कहलथि जे तकनीकी खराबी क कारण विमान रनवे स फिसलल अछि, जाहि मे कोई खास घायल नहि भेल अछि। ओना पुलिस अधीक्षक एमबी नायक मौका पर पहुंच कए पूरा मामला क जांच कैलथि । ओ कहलथि जे नागर आ विमानन विभाग क अधिकारी मंगलदिन एहि ठाम आबि कए मामलाक जांच करताह। कंपनी क अधिकारी एहि दुर्घटनाक पर अफसोस जतबैत कहलथि जे दुर्घटना तकनीकी खराबी क कारण भेल अछि आ एकरा जल्द ठीक करि लेल जाइगा। ओना सेवा कहिया शुरू होइत एकर घोषणा आइ नहि भ सकल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. ee bahut neek shuruat bhel achii…Hum etah Bangalore main kaaj kay rahal chi..lekin bahut nik lagal ee website dekh kaa…hardik shubhkaamna

Comments are closed.