चारि लेन क होएत हाजीपुर-मुजफ्फरपुर सड़क

indiiaपटना। बिहार क राष्ट्रीय राजमार्ग संख्या 77 क हाजीपुर-मुजफ्फरपुर खंड कए चारि लेन करबाक आ 16 किलोमीटर लंबा नद बाईपास बनेबाक प्रस्ताव कए मंजूरी भेट गेल। केंद्रीय मंत्रिमंडल कए बुनियादी ढांचा संबंधी समिति कए आइ भेल बैठक मे एहि प्रस्ताव कए मंजूरी देल गेल। एकर तहत राष्ट्रीय राजमार्ग 77 क 60 किलोमीटर हाजीपुर-मुजफ्फरपुर खंड कए चारि लेन मे बदलल जाइत। एकर संगहि 16.870 किलोमीटर नव बाईपास सेहो बनाउल जाइत। एहि परियोजना क लेल 671.70 करोड़ टका खर्च कैल जाइत। इ सड़कक निर्माण स बिहार कए राजधानी पटना ईस्ट-वेस्ट कॅारीडोर से जुडि़ जाइत। इ सड़क बनाउ, कमाउ आओर सौंप देबाक फार्मूला पर बनाउल जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments