चारि दिनक यात्रा पर भारत एलाह भट्टराई

नई दिल्‍ली। नेपाल क प्रधानमंत्री बाबूराम भट्टराई भारत एलाह अछि। अपन चारि दिवसीय भारत यात्रा क दौरान ओ द्विपक्षीय संबंध पर भारतीय समकक्ष स गप करताह संगहि नेपाल मे व्याप्त राजनीतिक अस्थिरता पर दिल्ली क चिंता कए दूर करबाक प्रयास करताह। कहल जा रहल अछि जे द्विपक्षीय गप क दौरान समग्र शांति प्रक्रिया मे तेजी अनबा लेल आम सहमति आ नव संविधान पर नई दिल्ली जोर द सकैत अछि।
प्रधानमंत्री बनलाक बाद भट्टराई पहिल बेर द्विपक्षीय दौरा आ भारत क अपन पहिल आधिकारिक दौरा पर दिल्‍ली एलथि अछि। भट्टराई को प्रधानमंत्री बने अभी पूरे दो महीने भी नहीं हुए हैं। नेपाल क प्रधानमंत्री बनलाक बाद सिंतबर मे न्यूयार्क मे संयुक्त राष्ट्रसंघ क महासभा क शिखर सम्मेलन क अवसर पर भट्टराई प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह स भेंट कए चुकल छथि।
प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह भट्टराई क संग शुक्रदिन गप करताह, जाहि मे आर्थिक आ ऊर्जा सम्बंध स लकए सुरक्षा सहयोग आ अधोसंरचना परियोजना सम्बंधी मसला शामिल रहत।
उच्च पदस्थ ूसत्रक कहब अछि जे विद्युत संकट आ अधोसंरचना निर्माण लेल दूनू देश किछु समझौता करि सकैत अछि, मुदा लम्बित प्रत्यपर्ण संधि सन दीर्घकालिक परिणाम वाला कोनो समझौताक उम्‍मीद नहि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments