चारिटा आईएएस आ नौटा आईपीएस क तबादला

पटना। राज्य सरकार 13टा प्रशासनिक आ पुलिस अधिकारी क तबादला करी देलक अछि। जाहि मे चारिटा आईएएस समेत दूटा आईजी, तीनटा डीआईजी आ चारि एसपी शामिल छथि। मुजफ्फरपुर आ भागलपुर मे नव जिलाधिकारी पठाउल गेल अछि जखन कि भोजपुर, मुजफ्फरपुर, बेतिया आ गोपालगंज मे नव एसपी क तैनाती कैल गेल अछि। निदेशक मध्याह्न भोजन योजना आनंद किशोर कए मुजफ्फरपुर क जिलाधिकारी बनाउ गेल अछि, जखनकि मुजफ्फरपुर क डीएम विपिन कुमार कए आंनद किशोर क स्थान पर मध्याह्न भोजन क निदेशक संग-संग प्रशासनिक सुधार मिशन क निदेशक क अतिरिक्त प्रभार सौंपल गेल अछि। नगर विकास विभाग मे निदेशक क पद पर कार्यरत राहुल सिंह कए भागलपुर क जिलाधिकारी बनाउल गेल अछि। भागलपुर क डीएम वंदना प्रेयसी कए निदेशक नगर विकास संग-संग बिहार राज्य आवास बोर्ड आ निदेशक शहरी आधारभूत संरचना विकास निगम क प्रबंधन निदेशक क अतिरिक्त दायित्व सौंपल गेल अछि। एहि प्रकारे आरक्षी महानिरीक्षक अभियान एसके भारद्वाज कए रेल आईजी बनाउल गेल अछि आ पदस्थापन क प्रतीक्षा मे बैसल केएस द्विवेदी कए आईजी अभियान क जिम्मा सौंपल गेल अछि। डीआईजी रेल अरविंद पाण्डेय सारण क नव डीआईजी हेताह, जखनकि मुजफ्फरपुर क प्रक्षेत्रीय डीआईजी बी श्रीनिवासन कए डीआईजी चंपारण क अतिरिक्त दायित्व सौंपल गेल अछि। डीआईजी चंपारण परेश सक्सेना क पुलिस अकादमी मे उप निदेशक प्रशिक्षण क पद पर तैनाती कैल गेल अछि। मुजफ्फरपुर क एसपी सुधांशु कुमार कए भोजपुर, भोजपुर क एसपी सुनील कुमार कए मुजफ्फरपुर, गोपालगंज क एसपी अमृत राज कए बेतिया आ बेतिया कए एसपी केएस अनुपम कए गोपालगंज क एसपी बनाउल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

कोई जवाब दें