“चम्पारण टॉकीज” बनाउत मैथिली फिल्‍म

मुंबई/पटना ।  “चम्पारण टॉकीज” मैथिली फिल्‍म बनाउत। एहि बातक घोषणा “चम्पारण टॉकीज” क मुखिया आ फिल्‍म निर्देशक नीतिन चंद्र केलथि अछि। “चम्पारण टॉकीज” क छह साल पूरा भेला पर जारी अपन बयान में श्री चंद्र कहला अछि जे  2008 में स्‍थापित फिल्‍म निमार्ण कंपनी “चम्पारण टॉकीज” आइ छह साल पूरा क लेलक। एहि कंपनीक शुरुवात “ब्रिंग बैक बिहार” नाम क एकटा डॉक्यूमेंट्री स भेल छल। पिछला छह साल मे चम्पारण टॉकीज मे दू टा डॉक्यूमेंट्री, जेकरा मे एकटा फीचर लेंथ माने 72 मिनट स ऊपर क फ़िल्म अछि, चारिटा छोट फ़िल्म आ एकटा भोजपुरी फीचर फ़िल्म “देसवा” बनल अछि। “चम्पारण टॉकीज”  हिंदी फ़िल्म “वंस अपॉन अ टाईम इन बिहार” ल कए जल्‍द सिनेमा घर मे पहुंच रहल अछि। श्री चंद्र कहला जे चम्पारण टॉकीज बिहार मे सिनेमा आ बिहार क सिनेमा कए आगू बढ़ाबा खातिर प्रयासरत अछि । “देसवा” भोजपुरी क पहिल अंतरराष्ट्रीय फ़िल्म अछि जे “चम्पारण टॉकीज” क पहिल निर्माण छी। देसबा भारतीय फ़िल्म समारोह क भारतीय परिदृश्य सिनेमा मे शामिल भ भोजपरी फ़िल्म इंडस्ट्री क पचास साल क इतिहास कए गौरवांन्वित केलक अछि। देसबा भोजपुरी क पहिल फ़िल्म अछि जे एहि कैटोगोरी में देखाउल गेल । श्री चंद्र कहला जे “चम्पारण टॉकीज” क्षेत्रीय सिनेमा कए अंतरराष्‍ट्रीय मंच पर पहुंचेबा लेल बचनबद्ध अछि। ओ कहला जे हुनकर कंपनी जे मैथिली फिल्‍म पर काज क रहल अछि ओ सेहो अंतरराष्‍ट्रीय मंच पर जेबा योग्‍य होएत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Bahut sukhad samad. Shubhkamna rahat je “Champaran Takij” jaldiye stariy Maithili filmak nirman karay……!!!!

Comments are closed.