चंपारण मे खुलत राष्ट्रीय स्तर क गन्ना अनुसंधान संस्थान

पटना। मुख्य मंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बिहार मे एकटा राष्ट्रीय स्तर क गन्ना अनुसंधान संस्थान खुलत, जेकर मुख्यालय चम्पारण मे होएत। श्री कुमार आइ अधिवेशन भवन पटना मे गन्ना उद्योग विभाग द्वारा आयोजित किसान प्रशिक्षण आ सम्मेलन, चीनी उत्पादन, लक्ष्य चुनौती आ राह कार्यक्रम कए संबोधित क रहल छलाह । ओ कहला जे बिहार मे स्थापित होइवाला राष्ट्रीय स्तर क इ गन्ना अनुसंधान संस्थान प्रतिष्ठित वैज्ञानिक क सहयोग स उत्कृष्ट गन्ना अनुसंधान संस्थान बनत, एहि स गन्ना किसान लाभान्वित हेताह । मुख्यमंत्री कहला जे बिहार गन्ना क खेती लेल नीक जगह अछि । आजादी क बाद बिहार मे 20 स 25 प्रतिशत चीनी बिहार स जाइत छल, मुदा केन्द्र क नीति क कारण बिहार आ उत्तर प्रदेश क स्थान महाराष्ट्र ल लेलक । ओ कहला जे चीनी क भरपूर स्टाक क बावजूद बाहर स चीनी आयात भ रहल अछि । केंद्र सरकार कए चीनी निर्यात करबा लेल प्रोत्साहन देबा चाही, मुदा देश मे किछु गोटे कए विदेशी चीनी बेसी मीठ लगैत अछि । एहने लोक देश मे चीनी रहैत चीनी क आयात करैत छथि । भारत मे चीनी क आयात बंद हेबाक चाही, तखने गन्ना उद्योग क हालत मे सुधार भ सकत । मुख्यमंत्री कहला जे केन्द्र सरकार चीनी मिल क मामला मे दोहरी नीति अपना रहल अछि । महाराष्ट्र क किसान कए राहत केन्द्र सरकार दैत अछि मुदा बिहार क चीनी मिल कए राहत नहि दैत अछि । केन्द्रीय खाद्य मंत्री रामविलास पासवान चीनी मिल लेल जे घोषणा केने छथि, ओहि पर एखन धरि अमल नहि कैल गेल अछि । मुख्यमंत्री कहला जे 16 अप्रैल कए केन्द्रीय मंत्री खाद्य आ उपभोक्ता संरक्षण बैसार क रहल छथि, एहि बैसार में बिहार अपन पक्ष राखत । ओ कहला जे बिहार मे चीनी उद्योग लेल अलग स बैसार होएत । जे संभव होएत कैल जाएत । एहि अवसर पर  गन्ना उद्योग मंत्री डा रंजू गीता कहलथि जे गन्ना किसान कए प्रशिक्षण लेल ब्राजील, फ्रांस आ चीन पठाउल जायत । एहि अवसर पर सचिव गन्ना उद्योग विभाग संजय कुमार सिंह, अध्यक्ष बिहार आ उतर प्रदेश शुगर मिल एसोसिएशन सीवी पटौदिया, निदेशक आईसीएआर गन्ना प्रजनन संस्थान, कोयम्बटूर बख्शी राम, प्रबंध निदेशक हरिनगर शुगर मिल्स लिमिटेड विवेक एम पित्ती सेहो संबोधित केलथि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments