चंद्रलोक परिसर मे ढाई हजार गाडी लेल बनत पार्किग

पटना। पार्किंग क समस्या स जूझि रहल पटना लेल इ एकटा नीक समाद अछि। सरकार, पटना जंक्शन लग करीब ढाई हजार वाहन लेल पार्किंग क व्यवस्था करि रहल अछि। पटना नगर निगम क खाली जमीन क बेहतरीन इस्तेमाल लेल सरकार न्यू मार्केट (पटना जंक्शन) इलाका मे 4.07 एकड़ वाला चंद्रलोक परिसर मे तीन ब्लाक बनेबाक फैसला केलक अछि। एहि मे मॉल, आफिस काम्प्लेक्स क संग संग ढाई हजार गाडी लेल बेसमेंट मे पार्किंग क व्यवस्था होएत। हाल मे नगर विकास आ आवास विभाग क प्रधान सचिव शशिशेखर शर्मा क अध्यक्षता मे भेल बैठक मे इ निर्णय लेल गेल अछि। एहि मे अदालत क आदेश क आलोक मे विस्थापित कए दुकान देल जाएत। चंद दिन मे दुकान क आकार क नापी करबाक निर्देश सेहो देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments