ग्रामीण सड़क क लेल अधिग्रहित होएत जमीन

पटना। अनुसूचित जाति, जनजाति, पिछड़ा आ अति पिछड़ा वर्ग क आबादी वाला गाम आ टोला कए संपर्क पथ स जोड़बा लेल सरकार अभियान चलाउत। एकरा लेल भूमि क समस्या आड़े नहि आउत। सड़क क लेल स्वेच्छा स भूमि बिक्री क लेल तैयार नहि भेला पर रैयती जमीन क सरकार भू-अर्जन अधिनियम 1984 क तहत अधिग्रहण करत। जानकारी क अनुसार राजस्व आ भूमि सुधार विभाग कए इ निर्धारित करबाक अछि जे उपलब्ध राशि क आधार पर कौन-कौन जिला कए प्राथमिकता देल जाए। राशि क आवंटन सेहो विभाग करत। अंचलाधिकारी सम्पर्क पथ क लेल चयनित भूमि क लेल विक्रेता कए भूमि क भुगतान चेक स करताह। प्रस्तावित योजना मे जतए भू-स्वामी स्वेच्छा स अपन रैयती भूमि सम्पर्क पथ क लेल देबा लेल तैयार नहि हेताह ,ओहि ठाम अधिग्रहण करि भू-अर्जन कैल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments