गोवा नहि बनत बिहार

पर्यटन स्थल पर तैनात होएत सुरक्षा बल
पटना। बिहार कए कोनो हालत मे गोवा बनबा स रोकल जाएत। पर्यटनक क्षेत्र मे बिहार आइ गोवा कए पाछु छोडि़ देलक अछि। बिहार मे पर्यटकक संख्या गोवाक पर्यटकक संख्या स बेसी अछि, मुदा एकरा संगहि पर्यटकक सुरक्षा कए ल कए सेहो नव समस्या सामने आबि रहल अछि। पिछला मास गया मे घटल घटना क बाद एकमत स कहल जा रहल अछि जे कोनो हालत मे बिहार कए गोवा बनबा स रोकल जाएत आ एक-एकटा पाहुनक सुरक्षा पुख्ता कैल जाएत। एकरा लेल राज्य सरकार सेहो गंभीर अछि। राज्य में पहिल बेर पर्यटक क सुरक्षा क लेल पर्यटन स्थल पर पर्यटन सुरक्षा बल तैनात कैल जा रहल अछि। एहि सुरक्षा बल मे निजी सुरक्षा एजेंसी क लोक कए शामिल कैल जाएत। प्रथम चरण मे राज्य क जाहि 6टा पर्यटन स्थल कए चुनल गेल अछि ओहि मे बोधगया, राजगीर, नालंदा, वैशाली, केसरिया आ पटना क पर्यटक स्थल अछि। राज्य क पर्यटन विभाग क प्रधान सचिव रश्मि वर्मा कहलथि जे निजी सुरक्षा एजेंसी क लोक कए एहि सुरक्षा बल मे शामिल कैल जाएत। इ सुरक्षा बल पर्यटक क संग दोस्त क भूमिका मे रहत आ विदेशी पर्यटक कए सुरक्षा देत। विदेशी पर्यटक क भ्रमण आ खरीददारी समय हुनका पर विशेष निगरानी राखल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments