गुजरात स अगुआ गेल बिहार

नई दिल्ली। कहियो गरीबी क पर्याय रहल बिहार 2011-12 मे 13.1 प्रतिशत विकास दर क संग लगातार दोसर साल सबस तेज विकास दर हासिल करि विश्‍व कए चौका देलक अछि। सांख्यिकी मंत्रायल दिस स जारी ताजा आंकडा क अनुसार बिहार क अर्थव्यस्था आब पंजाब स पैघ भ गेल अछि। किछु साल पहिने तक पंजाब बिहारी मजदूर लेल रोजगार क सबस पसंदीदा राज्‍य छल। विकास दर क मामला मे पहिल पांचटा राज्‍य मे बिहार क बाद दिल्ली दोसर आ पुडुचेरी तेसर स्थान पर अछि। आंकडा क अनुसार उग्र नक्सल आंदोलन क गढ़ रहल झारखंड चारिम आओर गोवा पांचम स्थान पर स्‍थान बनेबा मे कामयाब रहल अछि। शुक्रदिन जारी आंकडा क अनुसार घरेलू आ विदेशी निवेशक क पसंदीदा जगह, गुजरात एहि साल पहिल पांच राज्‍य मे जगह नहि बना सकल। गुजरात पिछला वित्तीय वर्ष मे 9.1 प्रतिशत क विकास दर अर्जित केने छल। हालांकि तमिननाडु 9.4 प्रतिशत विकास दर क संग गुजरात स आगू अछि। गहूंमक कटोरा रहल पंजाब, आईटी केंद्र आंध्रप्रदेश आओर कर्नाटक आ देश क सबस पैघ राज्य उत्तरप्रदेश क विकास दर भारत क सकल घरेलू उत्पाद (जीडीपी) 2011-12 मे 6.5 प्रतिशत रहल।
महाराष्ट्र क बाद तमिलनाडु दोसर सबस पैघ राज्य अर्थव्यवस्था क तौर पर उत्तरप्रदेश कए पछाडि देलक अछि। साल 2011-12 मे उत्तरप्रदेश क अर्थव्यवस्था अनुमानत: 4.19 लाख करोड़ टका छल, जखनकि महाराष्ट्र संभवतया पहिल स्थान बरकरार रखबा मे सफल रहल किया कि महाराष्ट्र क डाटा उपलब्ध नहि भ सकल अछि। साल 2010-11 मे महाराष्ट्र क अर्थव्यवस्था सात लाख करोड़ टका स बेसी क छल।
जानकारक कहब अछि जे बिहार मे विकास गति क निरंतरता क पाछु राज्य सरकार द्वारा पैघ पैमाना पर सड़क आ अन्य निर्माण शुरू करब मुख्‍य कारण रहल अछि। एहि स राज्‍यक स्थिति मे भारी बदलाव आयल अछि। संगहि राज्य मे कानून व्यवस्था क स्थिति सुधरबा स लोक तेजी स वाहन खरीद रहल छथि। कईटा फसल क उत्पादकता सेहो बढल अछि। बिहार क इ गति उत्‍साह जगबैत अछि, मुदा विकास क मामला मे बिहार एतबा पछुआ गेल अछि जे अन्‍य विकसित राज्‍य संग ढार हेबा लेल बिहार कए इ गति एखन कई साल और बरकरार रखबाक आवश्‍यकता अछि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

  1. GDP growth rate would further increase for both Bihar and Mithila if we divide Bihar in two states. This will make India stronger.

  2. ई तखने बुझब जखन पंजाब जाई बला( व दिल्ली जैबला) गाडी में सामान्य डिब्बा में बैसी के जा सकब.
    ओना समाद क दोसर समाचार अछि जे बिहारी(मजदूर) आब तमिल स बेशी विदेश खाड़ी आदि जा रहल छथि
    सीमेंट अधिक बिकायल मुदा बिहार क कोन क्षेत्र में ? पटना में आ आसपास .मिथिला अमे नहीं
    राज्य मे कानून व्यवस्था क स्थिति सुधरबा स लोक तेजी स वाहन खरीद रहल छथि वा अपराधीकरण मुखिया स्तर क नेता – ठेकेदार जे आब राजनीतिक कार्यकर्ता भेल छथि ओ खरीदालाह वा घूसखोर अफसर
    मुदा विकास क मामला मे बिहार एतबा पछुआ गेल अछि जे अन्‍य विकसित राज्‍य संग ठाढ़ हेबा लेल बिहार कए इ गति एखन कई साल और बरकरार रखबाक आवश्‍यकता अछि से ठीक – ताबत बिहार में मिथिलाक कोशी क्षेत्र खास कयक सोमालिया ने बनी जाय?

Comments are closed.