गुंडग़ांव क कंपनी बिहार पहुंचल कर्मचारी क तलाश मे

पटना। यद्यपि राज्य सरकार किछु मल्टीनेशनल कंपनी कए विदेशी निवेश कए लेल मानदंड मे छूट नहि देलक, मुदा ओ कंपनी बिहार क युवक कए रोजगार देबाक योजना बना रहल अछि। बक्स्टर इंडिया प्रा. लि., जे बक्स्टर हेल्थ केयर कॉर्पोरेशन क सहायक कंपनी अछि संगे चिकित्सा उत्पाद कंपनी अछि, ओ राज्य सरकार कए 8 दिसंबर कए कैंपस इंटरव्यू क लेल व्यवस्था करबा लेल कहलक अछि। संयुक्त राज्य क डियरफील्ड कंपनी क मुख्यालय फर्म आईटीआई से पास भेल छात्र कए इलेक्ट्रॉनिक्स, इलेक्ट्रॉनिक मैकेनिक, फिटर, टेलरिंग आ अन्य प्रकार क काज लेल ताकि रहल अछि, जिनकर सेवा गुडग़ांव क मानेसर मे स्थित कंपनी क शाखा मे लेल जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments