गीत गोविंद क 8म कड़ी बनल ‘दरभंगा गीत गोविंद’

नई दिल्ली। प्रेम क रहस्य आ भारतीय लघु चित्रण प्रथा पर आधारित ‘दरभंगा गीत गोविंद’ नामक पुस्तक क विमोचन उप-राष्ट्रपति डा. हामिद अंसारी केलथि। अभिनव प्रकाशन द्वारा प्रकाशित एहि पुस्तक क विमोचन समारोह उप-राष्ट्रपति आवास मे आयोजित कैल गेल छल। एहि दौरान पुस्तक क लेखिका डा. कपिला वात्स्यायन सहित कई गणमान्य व्यक्ति मौजूद छलथि। कपिला वात्स्यायन कहलथि जे गीत गोविंद क श्रंखला मे ‘दरभंगा गीत गोविंद’ 8म पुस्तक छी। एहि पुस्तक मे प्रेम आओर रहस्य कए काव्यवद्ध करि पौराणिक परंपरा, भारतीय संस्कृति आओर रीति रिवाज कए विविधता क संग प्रस्तुत कैल गेल अछि।
एहि काव्य क अंतर्गत 18म शताब्दी स एखन धरि गुजरात, उड़ीसा, मणिपुर, तमिलनाडु, केरल आ आंध्र प्रदेश जइसन अनेक राज्‍य क कलात्मक छवि कए बेहद काल्पनिक आ रूमानी ढंग स प्रस्तुत कैल गेल अछि। बिहार आओर अन्य राज्‍य मे गीत गोविंद कए काव्‍य क वैवाहिक उत्सव क दौरान गुणगान एकर महत्व कए आओर बढ़ा रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments