गाम नहि सुतैए स भेल मलंगिया महोत्‍सवक शुरुआत

नई दिल्‍ली। मलंगिया नाटय महोत्सव क पहिल दिन नाटक गाम नहि सुतैए स धमाकेदार शुरुआत क मैलोरंग इ साबित क देलक जे अगिला चारि दिन बेहतरीन नाटकक देखबाक अवसर भेटत। उत्‍पल झा निर्देशित एहि नाटक स दिल्‍ली क दर्शक मे आओर नाटक देखबाक तृष्‍णा बढि गेल अछि। ओना आशा क अनुरूप मलंगिया नाटय महोत्‍सवक पहिल दिन श्रीराम सेंटर खचाखच भरल छल। दिल्ली क सर्दी आ तनाव सेहो मैथिली दर्शक कए श्रीराम सेंटर एबा स नहि रोक सकल। उत्पल झा क टीम दिल्ली क अपन पिछला प्रदर्शन कए पाछु छोडैत जबरदस्त काज केलथि अछि। अभिनेता क जोश आओर चेहरा क भाव भंगिमा अभिनय क संग तालमेल क रहल छल। खुशबू कुमारी और रूपम श्री क वस्त्र विन्यास गज़ब क छल ओतहि उत्पल झा क मंच परिकल्पना मिथिला क दलान क दर्शन करबा देलथि। मंच परिकल्पना क सार्थकता क आंकलन एहि गप स लगाउल जा सकैत अछि जे मंच पर निर्माण लेल उपयुक्त बाँस आ खर सहरसा स दिल्ली आनल गेल दल।
गाम मे असामाजिक काज मे व्याप्‍त युवक स परेशान मिथिला क हर एक गामक कथा छी, गाम क कोनो व्यक्ति एहि लोक सब स दूर रहै चाहैत अछि। एतबा धरि जे पिता सेहो मंदिर मे बेटा क मौत क दुआ मांगैत अछि। कारण पर विचार करबा स पता चलैत अछि जे सरकार दोषी अछि जे भष्‍ट नेता द्वारा संचालित कालेज स बेरोजगार युवक पैदा क रहल अछि। आओर एहि बेरोजगार युवक क प्रयोग अपन काज लेल करैत छथि। एहि मे पुलिस आ बाहुबली क सेहो हाथ होइत अछि। नाटक क एकटा जुमला “चुनाबक तैयारी मे लागल अछि, माने हत्या, बलात्कार आर चोरी-डकैती” समाज मे नेता क पोल पट्टी खोलैत अछि। एहि सब समस्या स ग्रस्त भ सबटा गामवाला एकजुट भ जोरदार संघर्ष करैत छथि, जाहि स गाम मे अशांति आबि जाइत अछि। आओर जे एहि नाटक “गाम नहि सुतैए” कए सार्थक बनबैत अछि।
गोधा बनल सोनू एक बेर फेर दिल्ली क दर्शक क सबटा ताली बटोरि लेलथि। हुनकर एक एक संवाद पर हाल ताली स गूंज उठैत छल। ओतहि गोधा क कनिया क रूप मे स्वेता नीक अभिनय केलथि, हालाँकि कतहू-कतहू हुनकर हकलाहट दिखा रहल छल मुदा चेहरा क भाव-भंगिमा संवादक एहि कमजोरी कए नुका देलक। बाकी कलाकार सेहो अपन अपन किरदार संग न्‍याय केलथि। अंत मे देवशंकर नवीन उत्पल झा कए मैलोरंग क प्रतीक चिन्ह दकए सम्मानित केलथि ओतहि प्रत्येक कलाकार कए प्रशस्ति प्रमाण पत्र देल गेल। अंत मे अगिला दिन क नाटक छुतहा घैल मे एबा लेल न्योत देबाक संग प्रकाश झा दर्शक क आभार व्यक्त केलथि।

maithili news, mithila news, bihar news, latest bihar news, latest mithila news, latest maithili news, maithili newspaper, darbhanga, patna, दरभंगा, मिथिला, मिथिला समाचार, मैथिली समाचार, बिहार, मिथिला समाद, इ-समाद, इपेपर

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments