गाम जाउ, टेंट खसाउ, डीएम बाबू कए भेटल निर्देश

पटना। बिहार मे जिलाधिकारी कए साफ तौर पर निर्देश देल गेल अछि जे ओ गाम क मात्र दौरा नहि करथि, बल्कि गाम मे टेंट लगाकए इ देखथि जे ग्रामीण क्षेत्र मे विकास कार्य क रफ्तार की अछि। आयुक्त आ जिलाधिकारी क संग बैठक मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अफसर कए शहर स गाम देखबाक प्रथा कए समाप्त करबाक आदेश देलथि। हुनकर स्पष्ट कहब छल जे एहि मास स बिहार मे निर्माण कार्य क सीजन शुरू भ रहल अछि। जिलाधिकारी मौका पर मौजूद रहि कए एहि काज सब कए अपन स्तर पर कराबथि। नीतीश क अनुसारे, हुनकर एहि गप क जिलाधिकारी कए विशेष तौर पर ध्यान रखबाक अछि। राज्यक ग्रामीण क्षेत्र मे विकास कार्य कए गति प्रदान करबा लेल नीतीश कुमार आयुक्त आ जिलाधिकारी क बैठक बजौने छलाह। मुख्यमंत्री क कहब छल जे जखन जिलाधिकारी मौका पर मौजूद रहताह त जिला क प्रशासनिक मशीनरी खुद ब खुद सक्रिय रहत। एहि स काज सेहो अव्वल दर्जा क होयत। घपला क कोनो संभावना नहि रहत। जिलाधिकारी क संग मुख्यमंत्री क बैठक क बाद मुख्य सचिव अनूप मुखर्जी कहला जे मुख्यमंत्री जिलाधिकारी कए आम लोक स हिलमिल कए रहबाक सेहो निर्देश देलथि अछि। बैठक मे मुख्यमंत्री हुनका कईटा टास्क सेहो दलथि अछि। मसलन जिला मे भूमि विवाद सुलझेबा लेल समयबद्ध कार्यक्रम तय हेबाक चाही। विधवा आ विकलांग पेंशन कए विशेष प्राथमिकता देल जाए आओर नियमित रूप स फील्ड क दफ्तर मे जाकए निरीक्षण क काज सेहो जिलाधिकारी कए अपनी प्राथमिकता सूची मे रखबाक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अपन संबोधन क आरंभे मे इ स्पष्ट रूप स कहला जे जिलाधिकारी कोनो कीमत पर गाम आ ग्रामीण क उपेक्षा नहि करथि। मुख्यमंत्री ने कहला-अहां गाम मे जाकए लोक क समस्या सुनु आ ओतहि टेंट लगा कए ओकर निपटारा करि देबाक प्रयास करू।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments