गाम-गाम पहुंचत ब्राडबैंड

नई दिल्ली। आब गाम मे रहि रहल दाई आ कका स चैट संभव भ सकत। मोबाइल फोन पहिने गामक लोकक मुठ्ठी मे दुनिया समा देने छल। आब गामक आंखि मे दुनिया बसेबाक प्रयास कैल जा रहल अछि। सरकार ब्राडबैंड सेवा कए गाम-गाम पहुंचेबाक फैसला लेलक अछि। सरकार एहि मुद्दा पर विचार करबाक बाद एकरा लागू करबा लेल एक टा टास्ट फोर्स बनेबाक सेहो निर्णय लेलक अछि। दूरसंचार आ सूचना प्रौद्योगिकी मंत्री ए राजा इ जानकारी दैत कहला जे आब ओ दिन दूर नहि जखन गाम-गाम तक इंटरनेट पहुंच जाइत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments