गांगेय डाल्फिन देख झूमि उठला विश्व बैंक क अध्यक्ष बी जोएलिक

पटना । वाह केतबा सुंदर अछि डाल्फिन। गांगेय डाल्फिन कए देखबा लेल भोरक ठंड आ कोहरा क बीच फ्लोटिंग रेस्तरां स गंगा क सैर करबाक योजना सफल रहल। गांगेय डाल्फिन क बारे मे बहुत किछु सुनने रही। आइ देखबा मे भेट गेल। इ उद्गार विश्व बैंक क अध्यक्ष राबर्ट बी जोएलिक छल। केंद्रीय पर्यावरण आ वन मंत्री जयराम रमेश क संग फ्लोटिंग रेस्तरां स गांगेय डाल्फिन देखबाक हुनकर योजना सफल रहल। केन्द्रीय मंत्री रमेश कहा जे हमरो कई बेर गांगेय डाल्फिन देखबाक योजना बनल, मुदा एहि बेर मनोरथ पूरा भेल। ओ कहला जे डाल्फिन संरक्षण क लेल योजना बनाउल गेल अछि। शीघ्र ओहि पर अमल शुरू होएत। हम सब एक दर्जन स बेसी डाल्फिन गांधी घाट स कलेक्ट्रेट घाट तक क बीच मे देखलहु। विश्व बैंक क अध्यक्ष क संग आयल लोक सब त डाल्फिन क तस्वीर लेबा मे व्यस्त रहलथि मुदा जोएलिक ओकर संरक्षण लेल चिंतित रहथि। हम विश्व बैंक क अध्यक्ष कए आश्वस्त केलहुं अछि जे डाल्फिन क प्रजनन कए बढ़ावा देबा लेल आओर ओकर संरक्षण लेल केन्द्र सरकार पहल करए जा रहल अछि। फ्लोटिंग रेस्तरां पर डाल्फिन क बारे मे लाइव कमेंट करनिहार डाल्फिन मैन आरके सिन्हा स एहि लेल रमेश विशेष रूप स चर्चा केलथि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments