गहूम क न्यूनतम समर्थन मूल्य मे 20 टकाक वृद्धि

0
6
esamaad maithili newspaper

नई दिल्ली। सरकार चालू रबी फसल क लेल गहूम क न्यूनतम समर्थन मूल्य मे बढ़ेबाक घोषणा केलक अछि। घोषणा क अनुसार गहूम मे 20 टका, जौ में 70 टका आ चना मे 30 टका प्रति क्विंटल कए वृद्घि भेल। प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह कए अध्यक्षता मे आर्थिक मामला क मंत्रिमंडलीय समिति क बैठक मे इ फैसला लेल गेल। नव समर्थन मूल्य रबी फसल क लेल तय कएल गेल, जे 2010-11 मे आओत। फैसला क मुताबिक गहूम क न्यूनतम समर्थन मूल्य आब 1100 टका प्रति क्विंटल भ गेल।

Please Enter Your Facebook App ID. Required for FB Comments. Click here for FB Comments Settings page