गहूम क जगह माटी भरल बोरा पठाउल जा रहल छल बिहार

फिरोजपुर। पंजाब स बिहार गहूम क बोरा मे माटी पठाउल जा रहल छल। वजन बढ़ेबा लेल ओकरा भीजा देल गेल छल। सीआईडी भारतीय खाद्य निगम क एकटा गोदाम मे छापा मारि कए एहि घोटाला क पर्दाफाश केलक अछि। पनसप जिला मे भारतीय खाद्य निगम क गोदाम मे राखल गहूम कए बिहार पठेबा लेल फिरोजपुर रेलवे स्टेशन पर विशेष मालगाड़ी मे लादल जा रहल छल। एहि दौरान सीआईडी कए गहूम क बोरा मे माटी भरल हेबाक सूचना भेटल। अफसर आनन फानन मे बार्डर रोड स्थित पनसप क एकटा गोदाम पर छापा मारिकए ट्रक (एचआर 39 ए0472) कए चेक केलथि त गहूम बोरा मे माटी भेटल। इंस्पेक्टर सुरेंदर सिंह क अनुसार गोदाम आ ट्रक दूनू कए सील करि देल गेल अछि। मामला संज्ञान भेटला पर उपायुक्त केके यादव हैरान छथि। ओ जिलाधिकारी आ जिला खाद्यपूर्ति अधिकारी कए रिपोर्ट देबा लेल कहलथि अछि। ओ अपनो गोदाम जा कए बोरा देखलाह अछि। यादव कहला, गोदाम मे राखल चारि लाख बोरा मे करोड़ क गहूम अछि। केतबा मे माटी अछि द त जांचक बाद पता चलतख् मुदा घोटाला इ छोट नहि अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments