गर्व करबाक एकटा आओर मौका: भ्रुण हत्या रोकबा मे बिहार बनेलक रिकार्ड

वाशिंगटन। मादा भू्रण हत्या आ दहेज हत्या पर रोक लगेबा क रिकार्ड कए लकए बिहार क एकटा गाम क तारीफ चाहे भारत मे नहि भ रहल अछि, मुदा अमेरिका मे एकर धूम बचल अछि। अमेरिका क एकटा शीर्ष अधिकारी कहला अछि जे विवाह क लेल एकटा न्यूनतम आयु क निर्धारण लेल विभिन्न देश कए कानून लागू करबाक चाही आ एहि लेल बिहारक एकटा गाम स प्रेरणा लेबाक चाही। वैश्विक महिला मुद्दा पर दूत मेलान वरवीयर बाल विवाह पर एकटा कार्यक्रम क दौरान टॉम लैंटोस मानवाधिकार आयोग क संग विचार-विमर्श क दौरान कहलथि जे भारत क बिहार राज्य क एकटा गाम धारहारा क निवासी लड़की क जन्म पर आम क एकटा गाछ रोपैत छथि। इ गाछ 18 साल बाद लड़की क विवाह स जुड़ल खर्च क वहन करैत अछि।
ओ कहला जे साधारण सन इ उपाय लड़की स जुड़ल वित्तीय समस्या स निपटबा मे काज अबैत अछि आ एकर शानदार नतीजा सामने आएल अछि। वरवीयर कहलथि जे एकटा एहन राज्य मे जतए दहेज क कारण मौत क सर्वाधिक मामले सामने अबैत छल, ओहि राज्य क एहि गांव मे मादा भू्रण हत्या बा दहेज क कारण मौत क एकटा मामला सामने नहि आयल अछि। वरवीयर कहलथि जे पहिने स मौजूद विकास एजेंडा पर काज करबाक अलावा, समुदाय मे लड़की क महत्व कए बढ़ेबा लेल सेहो प्रयास करबाक चाही।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments