गया मे विश्व प्रसिद्ध पितृपक्ष मेला शुरू


गया । धार्मिक मंत्रोच्चारण आओर शंखनाद क बीच सायंकाल प्रशासनिक उद्घाटन क संग गयाजी मे सनातन धर्मावलंबी क विश्व प्रसिद्ध पितृपक्ष मेला शुरू भ गेल। प्रमंडलीय आयुक्त डॉ कर्रा परशु रामय्या आ जिलाधिकारी संजय कुमार सिंह संयुक्त रूप स विष्णुद्वार क समीप फीता काटिकए मेला क उद्घाटन केलथि। एहन मान्यता अछि जे गयाजी मे आश्विन मास क कृष्णपक्ष प्रतिपदा स अमावस्या क अवधि तक मृत लोक क आत्मा अपन मोक्ष क कामना क लेल मौजूद रहैत अछि। एहि अवधि मे पिंडदान आ जल तर्पण करबा स मृत लोक कए मोक्ष क प्राप्ति होइत अछि। एहि अवसर पर आयुक्त डॉ रामय्या कहला जे देश-विदेश स आवनिहार तीर्थयात्री क सुविधा क लेल प्रशासन अपन दिस स पूरा तैयारी केलक अछि। डॉ रामय्या आधुनिक युग क न्यूक्लियर फैमिली पर चुटकी लैत कहला जे ओ जखन कष्ट मे होइत छथि त पूर्वज क याद अबैत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments