गया मे खुलल पहिल महिला डाकघर

गया :  बिहार क पहिल महिला डाकघर गया मे खुलल। राज्‍य मे एहन डाक घरक संख्या बहुत जल्‍द बढत। बिहार परिमंडल क मुख्य डाक महाध्यक्ष बिग्रेडियर जी भुयान गया क एपी कॉलनी मे बिहार क पहिल महिला पोस्ट आफिस क उद्घाटन केलथि। ओ कहला जे बिहार आब हर क्षेत्र मे तरक्की क नव निशान बना रहल अछि। बिहार क धीया लड़का कए पछाडि कए खुद आगू निकलि रहल छथि । आइ अधिकतर बैंक मे लडका स बेसी लडकी देखा रहल अछि। लड़की एहि जूनून कए देखैत  राज्य सरकार निर्णय लेलक अछि जे महिला लेल किछु नव कैल जाए। महिला कए बेसी स बेसी सुविधा सुविधा प्रदान करबा लेल  महिला डाकघर खोलल जा रहल अछि।  एहि डाकघर मे अधिकारी स लकए ग्रेड फोर क कर्मी तक सब महिला छथि।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, Hawai seva, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments