गया मे ओटीए पर खर्च होइत 450 करोड़

bsf
पटना। गया मे देहरादून आ चेन्नई क बाद देश क तीसरे आफिसर्स सैन्य प्रशिक्षण अकादमी क निर्माण पर 450 करोड़ टका खर्च होइत। एकर अलावा सेना द्वारा शीघ्र गया मे पैघ आ अत्याधुनिक स्तर क चिकित्सा सेवा सेहो शुरू कैल जाइत। रक्षा मंत्रालय क आला अधिकारी गया मे सैन्य प्रशिक्षण अकादमी क निर्माण क संबंध मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग एकटा बैठक केलथि अछि। बैठक मे विधानसभा अध्यक्ष उदय नारायण चौधरी, मुख्य सचिव अनूप मुखर्जी, मुख्यमंत्री क प्रधान सचिव रामचंद्र प्रसाद आ गया स आयल किछु गणमान्य लोग सेहो उपस्थित छलाह। मुख्यमंत्री रक्षा मंत्रालय क अफसर कए कहलथि जे आर्मी सर्विस सेंटर कए बेंगलुरु स्थानांतरित नहि कैल जेबाक चाही। रक्षा मंत्रालय क अधिकारी मुख्यमंत्री कए कहलथि जे आर्मी सर्विस सेंटर क तेरह मे स 12 इकाई गया मे रहत। ओकरा बेंगलुरु स्थानांतरित नहि कैल जाइत।
गया स्थित आर्मी सर्विस सेंटर कए ओहि ठाम स स्थानांतरित करबा पर केहन आर्थिक आ पर्यावरण, रोजगार आ नक्सल समस्या आउत एकर बारे मे रक्षा मंत्रालय क अफसर कए एकटा पावर प्वाइंट प्रजेंटेशन सेहो देखाउल गेल। एकरा बाद सैन्य अधिकारी मुख्यमंत्री कए कहलथि जे आफिसर्स प्रशिक्षण अकादमी क स्थापना स गया मे पहिनेक अपेक्षा बेसी सुविधा आ संसाधन उपलब्ध भ जाइत। मिलिट्री हॉस्पिटल क वर्तमान 82 शैय्या कए बढ़ाकए 150 करि देल जा रहल अछि। ऑपरेशन थियेटर कए आओर बेसी बेहतर कैल जा रहल अछि। सैन्य कर्मी क तादाद बढ़त, जाहि स आपदा प्रबंधन क बेहतर संसाधन उपलब्ध होयत। 450 करोड़ क लागत स विश्व स्तरीय प्रशिक्षण केंद्र बनेत, जाहि स स्थानीय लोक कए रोजगार क अवसर भेटत। आर्थिक आ व्यावसायिक गतिविधि कए सेहो बढ़ावा भेटत। प्रतिवर्ष होइवाला दूटा पासिंग आउट परेड मे देश आ विदेश क अति विशिष्ट लोक गया पहुंचताह। एकरा स गया मे आधारभूत संरचना क सेहो विकास होयत।
मुख्यमंत्री बैठक मे मौजूद राज्य प्रशासन क आला अधिकारी कए निर्देश देलथि जे गया मे आफिसर्स ट्रेनिंग अकादमी आरंभ करबा मे आ आर्मी सर्विस सेंटर कए पूर्ववत संचालित करबा लेल ओ प्राथमिकता दथि। आर्मी सर्विस सेंटर क स्थान पर आफिसर्स ट्रेनिंग अकादमी क संचालन तत्काल आरंभ कैल जा सकै त अछि। आर्मी सर्विस सेंटर क लेल अतिरिक्त भूमि निकटवर्ती स्थान पर उपलब्ध करा देल जाइत। बैठक मे रक्षा मंत्रालय क अपर सचिव शेखर अग्रवाल, संयुक्त सचिव उपमन्यु चटर्जी, महानिदेशक, मिलिटरी ट्रेनिंग, लेफ्टिनेंट जेनरल, वीके अहलूवालिया, गया क जिलाधिकारी संजय कुमार सिंह आ सेंट्रल बिहार चैंबर ऑफ कामर्स क प्रतिनिधि सेहो शामिल छलाह।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments