गणित मे काफी आगू अछि बिहार क बच्चा

पटना। सूबा मे स्कूल स बाहर 6 स 14 वर्ष क बच्चा क संख्या वर्ष 2010 मे घटि कए 3.5 प्रतिशत रहि गेल अछि। सामान्य गणित क सवाल कए हल करबा मे प्रदेश क बच्चा क उपलब्धि राष्ट्रीय औसत स कहीं बेसी अछि। एनुअल स्टेटस आफ एजुकेशन रिपोर्ट 2010 (असर रिपोर्ट) मे एकर खुलासा भेल अछि। इ रिपोर्ट दिल्ली मे उपराष्ट्रपति क हाथ स जारी कैल गेल अछि। असर सबटा जिला मे 977 विद्यालय क रेंडम पद्धति स चयन करि ओकर औचक निरीक्षण करि रिपोर्ट तैयार केलक अछि। वर्ष 2006 मे असर रिपोर्ट क अनुसार 12.8 प्रतिशत बच्चा स्कूल स बाहर छल, जे 2010 क रिपोर्ट मे घटिकए 3.5 प्रतिशत रहि गेल। वर्ष 2010 मे स्कूल मे नामांकित बच्चा क संख्या बढ़ि कए 96.5 प्रतिशत पर पहुंच गेल। सरकारी विद्यालय मे 2006 मे जतए 72.2 प्रतिशत नामांकित छल ओतहि 2010 मे इ संख्या बढ़ि कए 89.8 प्रतिशत भ गेल। रिपोर्ट क अनुसार सूबा क कक्षा 8 क 69 प्रतिशत बच्चा सामान्य गणित मे क्षेत्रफल क सवाल ठीक ढंग स हल करि लैत अछि, जखनकि राष्ट्रीय औसत मात्र 50 प्रतिशत अछि। वर्ष 2006 मे 5 वर्ष क आयु क जतए 45.4 प्रतिशत बच्चा विद्यालय अबैत छल ओतहि 2010 मे 52.7 प्रतिशत बच्चा अबैत अछि। एहि प्रकार स वर्ष 2006 मे आंगनबाड़ी आ बाल वर्ग मे 3 वर्ष क 49.1 प्रतिशत आ 4 वर्ष क 57.7 प्रतिशत बच्चा अबैत छल। इ संख्या 2010 मे बढ़ि कए क्रमशः 74.5 आ 78.9 प्रतिशत भ गेल। रिपोर्ट मे सरकारी विद्यालय क अनुदान मे वृद्धि क सेहो चर्चा अछि। वर्ष 2009-10 मे 81.4 प्रतिशत विद्यालय कए स्कूल क रखरखाव आ 79.6 प्रतिशत कए स्कूल क विकास क वास्ते अनुदान राशि प्राप्त भेल अछि। ओतहि 82.4 प्रतिशत विद्यालय कए टीचिंग लर्निग सामग्री क लेल अनुदान भेटल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments