गणतंत्र दिवस क मद्देनजर चौकस भेल पुलिस

पटना। बिहार मे अंतरराष्ट्रीय आतंकवादी संगठन अलकायदा क संदिग्ध आतंकवादी क गिरफ्तारी, हाल क दिन मे नक्सली पर पुलिस क बढ़ैत दबाव आ भारी मात्रा मे विस्फोटक क बरामदगी क कारण पुलिस कए 26 जनवरी क गणतंत्र दिवस क अवसर पर कोनो आतंकवादी आ नक्सली घटना हेबाक आशंका अछि। एहि आशंका क मद्देनजर राज्य क विभिन्न थाना कए सचेत करि देल गेल अछि। पुलिस मुख्यालय क एक टा अधिकारी क मुताबिक बिहार आ नेपाल क सीमावर्ती क्षेत्र आ नक्सल प्रभावित इलाका मे पुलिस कए विशेष चौकसी क निर्देश देल गेल अछि। राज्य मे सिनेमा घर, रेलवे स्टेशन, बस अड्डा, भीड़भाड़ वाला क्षेत्र मे विशेष सतर्कता बरतैत संदिग्ध वस्तु पर नजर रखबाक आदेश देल गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments