गंवई माडल कए बुलंदी देबा लेल धरहरा जेताह मुख्यमंत्री

पटना। धरहरा (नौगछिया) भागलपुर क एकटा गाम अछि,मुदा दुनिया लेल इ पर्यावरण संरक्षण क एकटा माडल बनि चुकल अछि। एहि मोर्चा पर इ दुनिया कए बाट देखेबाक हैसियत रखैत अछि। एहि गाम मे बेटी क जन्म पर पांचटा गाछ लगेबाक बड पुरान परंपरा अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, पर्यावरण संरक्षण दिवस (पांच जून) क मौका पर एहि गाम जेताह आ हुनक इच्‍छा अछि जे बिहारक आन गाम सब सेहो एहि परंपरा कए अपना कए पर्यावरण संरक्षण लेल आगू बढए। मुख्यमंत्री, पिछला साल सेहो एहि गाम आयल छलाह। इ आंकडा त उपलब्‍ध नहि अछि जे बिहारक केतबा गाम मे एहन परपरा शुरू भ गेल अछि मुदा इ जरूर कहल जा सकैत अछि जे एहि मसला पर व्यापक जागरूकता जरूरी अछि । मुख्यमंत्री एहि मे लागल छथि। मुख्यमंत्री क लगातार दू साल एहि गामक यात्राक बाद एकरा निश्चित रूप स आओर विस्तार भेटत। खुद मुख्यमंत्री क कहब अछि जे धरहरा अपने आप मे अजूबा अछि। पर्यावरण क प्रति चरम आग्रह भाव-विभोर करि दैत अछि। अगर बिहार क दोसरो गाम एकर अनुशरण करे, त बिहार मे पर्यावरण प्रदूषण क समस्या बहुत हद तक दूर भ जाएत।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments