गंगेश गुंजन कए विद्यापति पुरस्कार

Gangesh Gunjanपटना । साल 2014-2015 कए विद्याप‍ति पुरस्कार एहि बेर हिंदी आ मैथि‍ली क वरिष्ट साहित्यकार गंगेश गुंजन कए देल जाएत । बिहार सरकार क राजभाषा विभाग हरेक साल मैथि‍ली क महान कवि विद्यापति‍ क स्मृति मे इ पुरस्कार दैत अछि ।

राजभाषा विभाग क निदेशक सह अपर सचिव रामबिलास पासवान क अनुसार, डा. गुंजन कए इ पुरस्कार बिहार सरकार क राजभाषा विभाग दिस से हिंदी सेवी सम्मान आओर पुरस्कार योजना क तहत देल जाएत । पुरस्कार स्वरूप हुनका पचास हजार टका, प्रशस्ति पत्र आ स्मृति चिन्ह देल जाएत । इसमाद परिवार सेहो गुंजन जी क एहि उपलब्धि‍ पर हुनका बधाई दैत अछि ।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

Comments are closed.