गंगा क सफाई लेल भेटत एक अरब डॉलर

नई दिल्ली। गंगा नदी कए साफ-सुथरा बनबाक आ बचबाक राष्ट्रीय अभियान क लेल सरकार विश्व बैंक क संग गप करि रहल अछि। हालांकि विश्व बैंक सरकार क एहि महत्वाकांक्षी कार्यक्रम क लेल शुरुआती चार-पांच वर्ष क लेल एक अरब डॉलर क मदद देबाक लेल राजी भ गेल अछि, मुदा सरकार विश्व बैंक स लंबा अवधि क लेल तालमेल बनबाक संभावना तलाश रहल अछि। विश्व बैंक क अध्यक्ष रॉबर्ट जोएलिक वन आ पर्यावरण मंत्री जयराम रमेश संग मुलाकात मे एक अरब डॉलर क वित्तीय सहायता मुहैया करबाक हामी भरलथि। एहि मौका पर जयराम रमेश कहलथि जे गंगा परियोजना राष्ट्रीय महत्व क प्रोजेक्ट अछि। इ खुशी क गप अछि जे विश्व बैंक एहि मे हमार मदद क लेल आगू आइल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments