गंगा कए बचेबा लेल सरकार करत भगीरथि प्रयास

मंत्रिमंडल क फैसला
पटना।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क नेतृत्व मे राज्य मंत्रिमंडल गंगा नदी क लहर पर आइ हेलैत रेस्तरां मे बैठक करि गंगा नदी कए बचेबा लेल भगीरथि प्रयास करबाक संग-संग बढ़ैत महंगाई पर काबू करबाक आ प्रशासनिक सेवा क पुनर्गठनक अलावा दूटा नव सेवा क गठन क संबंध मे महत्वपूर्ण निर्णय लेलक। बैठक क बाद मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे मंत्रिपरिषद गंगा नदी कए बचेबा क संकल्प लेलक अछि। ओ गंगा जल क बहाव मे लगातार भ रहल कमी पर चिंता करैत कहला जे एकरा लेल बिहार जिम्मेवार नहि अछि। ओ कहला जे राज्य मे जखन गंगा बक्सर मे प्रवेश करैत छथि त एकर जल बहाव 400 क्यूमेक्स होएत अछि आ बिहार स बाहर निकलैत काल एकर जल बहाव 1500 क्यूमेक्स भ जाइत अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments