गंगासागर पोखर क जीर्णोद्धार लेल सरकार 54 लाख

दरभंगा! शहर स्थित गंगासागर पोखरि क जीर्णोद्धार लेल सरकार 54 लाख 24 हजार टकाक मंजूरी द देलक अछि। एहि राशिक प्रथम किस्त क रूप मे सात लाख टका क निकासी आ व्यय क स्वीकृति चालू वित्तीय वर्ष मे करबाक स्वीकृति भेट गेल अछि। ज्ञात हुए जे नगर विधायक संजय सरावगी क पहल पर बिहार राज्य पर्यटन निगम उक्त पोखर क जीर्णोद्धार लेल 54 लाख 24 हजार क प्राक्कलन कए तकनीकी अनुमोदन क बाद एकर प्रशासनिक स्वीकृति सेहो द देलक अछि। प्रस्ताव क मुताबिक योजना क तहत घाट आ कान्‍फ्रेंस हाल क निर्माण क संगहि विद्युतीकरण क कार्य कैल जाएत। महालेखाकार दिस स जारी पत्र क अनुसार योजना क कार्यान्वयन जिलाधिकारी क माध्यम स कराउल जाएत आ राशि क निकासी आ व्ययन पदाधिकारी पर्यटन निदेशालय क उपसचिव ओमप्रकाश प्रसाद हेताह। ओतहि योजना क पर्यवेक्षण डीएम आ पर्यटन विभाग द्वारा संयुक्त रूप स कैल जाएत। एहि कार्य लेल प्राप्त राशि क विचलन अन्यत्र नहि कैल जा सकैत्‍ा अछि। एहन मे दरभंगाक नागरिक क इ दायित्‍व अछि जे ओ एहि काज पर ध्‍यान राखति।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments