खूब भ रहल लैला-मजनू क बिक्री

पटना। जीते जी एक नहि भ सकल महान प्रेमी लैला आ मजनू क नाम क एकटा पौधा क सोनपुर मेला मे नव विवाहित युगल क समृद्धि आ भाग्य क चिन्ह क रूप मे खूब बिक्री भ रहल अछि। मेला मे इ पौधा बेच रहलाह राम वृक्ष चौरसिया कहला, ‘लोक, खास कए नव विवाहित युगल आ प्रेमी एहि पौधा कए खरीद रहल अछि। हुनका विश्वास छैन जे इ पौधा हुनकर जीवन मे नीक भाग्य आ रिश्ता मे मजबूती आनत। चौरसिया दावा करैत छथि जे ओ एहि पौधा कए विकसित केलथि अछि आ काल्पनिक युगल लैला-मजनू क नाम पर एकर नामकरण केलथि अछि। पौधा क पात एक दिस स लाल आ दोसर दिस स हरियर अछि। पौधा क दाम 35 टका मात्र अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments