खुशी स नोरायल अधिकतर आंखि

तीन दशक बाद सासाराम स आरा चलल ट्रेन
सासाराम। इ सपना क ट्रेन छी। ओ सपना जेकरा देखैत एकटा पूरा पीढ़ी जवान भ गेल। इ उल्लास भरल शब्द छल रामअवतार सिंह क जे सासाराम स आरा जा रहल पहिल सवारी गाड़ी क यात्री छथि। आरा तक टिकट लेलाक बाद अधिकतर यात्री क चेहरा पर एहने भाव छल। ट्रेन चालक ललन जी आ गार्ड केएम प्रसाद सेहो अपना कए ऐतिहासिक क्षण मे भागीदार बूझि रहल छलाह। आखिर तीन दशक बाद आरा क लेल सासाराम स ट्रेन जे विदा भ रहल छल।
कहियो शाहाबाद जिला क दूटा महत्वपूर्ण शहर आरा-सासाराम, आब पड़ोसी जिला। एहि दूनू जिला मुख्यालय क बीच पहिने छोटी लाइन पर ट्रेन चलैत छल। मुदा 1977 मे एहि क्षेत्र स ट्रेन क छुक-छुक बंद भ गेल। एकर बाद सब सरकार मे लाइन निर्माण क गप चलल, मुदा कागज स जमीन पर नहि आइल। ठोस आधार नीतीश कुमार क रेलमंत्रित्व काल मे भेटल आ गति लालू यादव क काल मे। 10 दिसंबर, 2006 कए ट्रेन बिक्रमगंज तक चलल। नवंबर, 2008 मे पीरो तक बढ़ल। पूर्णता 31 अक्टूबर, 2009 कए पूरा भेल। जखन ट्रेन सासाराम स आरा क लेल चलि पड़ल।
16 टका मे आउ आरा
बस क 50 टका भाड़ा भीड़-भाड़ किचकिच स आब राहत भेटत। मात्र 16 टका मे यात्री सवारी गाड़ी स आरा पहुंचताह। सौ किमी क यात्रा मे लगभग 4 घंटा लागत। 23 हाल्ट आ 5 स्टेशन स भ कए ट्रेन जाइत। सासाराम स खुलबाक बाद ट्रेन मोकर, अगरेर, खरारी, बरांव मोड़, चनका, गढऩोखा, समहौता, संझौली, बैरी, मानी, घोसियांकला, घोसिया, शहीदबाबा, बिक्रमगंज, शिवपुर भोजपुर-रोहतास बार्डर हाल्ट, हसनबाजार हाल्ट, हसन बाजार स्टेशन, नोनार, झारखंड महादेव, पीरो, नागरी, चरपोखरी, समरन, गड़हनी, वीर कुंवर सिंह हाल्ट, उदवंत नगर हाल्ट होइत आरा पहुंचत।
दू बेर अप डाउन करत ट्रेन
सासाराम-आरा लाइन पर एक टा ट्रेन दू बेर अप डाउन करत। 746 नं. क गाड़ी 9.20 पर वाराणसी स आउत आ 9.30 बजे आरा क लेल प्रस्थान करत। फेर ट्रेन 749 नंबर क भ कए 4.30 बजे आरा स खुलत आ 8 बजे सासाराम पहुंचत। 748 नंबर क ट्रेन 8.20 मे सासाराम स खुलि कए 11.50 पर आरा पहुंचत। 749 नंबर क ट्रेन एक बजे आरा स खुलत आ सासाराम 4.40 पर पहुंचत।
सीधा पटना जेबाक इच्छा प्रबल भेल
आरा स ट्रेन परिचालन शुरू भेलाक बाद स्थानीय लोक मे काफी हर्ष अछि। आब सीधा पटना जेबाक इच्छा प्रबल भ गेल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

2 टिप्पणी

Comments are closed.