खुलल बिहारक पहिल मॉल

पटना । बिहारक पहिल मॉल ‘पी एंड एम’ पटना मे खुलि गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार एकर उद्घाटन केलथि। ई मॉल फिल्म निर्माता-निर्देशक प्रकाश झा बनेलथि अछि। मॉल पटना क पॉश इलाका पाटलिपुत्रा कॉलोनी मे अछि। सवा दू लाख वर्गफुट मे बनल ई मॉल छह मंजिला अछि। एहिठाम अहां खरीदारी के संग संग सिनेमा सेहो देख सकैत छी। खनाई पिनाई क अलावा आओर बहुत किछु अछि एहि ठाम।
मॉल क नीचला आ पहिल मंजिल पर कईटा दुकान अछि। एहि मॉलक सबस पैघ गपइ अछि जे एहि ठाम एकटा सेक्‍सन लकडीक सामानक सेहो अछि। एहि मे बिग बाजार सेहो अछि।
‘पी एंड एम’ मॉल मे बनल मल्टीप्लेक्स मे चारिटा सिनेमा हॉल अछि। जे मॉल क पांचम आओर छठहम मंजिल पर अछि। चारिम मंजिल पर बैंक्वेट हॉल अछि। जतए अहां कोनो पार्टी बा समारोह क आयोजन करि सकैत छी। सिनेपोलिस नामक पूर्णत वातानुकूलित एहि माल क मालिक  प्रकाश झा कहला जे बिहार मे नव बदलाव क जमीन तैयार भेल अछि आओर  एकटा गौरवान्वित बिहारी क रूप मे राज्य क लोक लेल हम इ मॉल आ मल्टीप्लेक्स भेंट कए रहल छी ।
दिल्ली-मुम्बई जइसन बड़का शहर मेट्रो लेल ई कोनो पैघ गप नहि अछि। मुदा पटना आ बिहार लेल इ एकटा सपनाक साकार होएब थीक। इ एक प्रकार स प्रमाण अछि जे राज्य धीरे-धीरे विकास क पथ पर आगां बढ़ि रहल अछि। लोक सभ देश-दुनिया क संग आगां बढ़ि रहल छथि । डेग स डेग मिल रहल अछि।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments