खुदाई मे भेटल संग्रहालय मे राखल मूर्ति क शेष हिस्सा

बुद्ध्
खुदाई मे भेटल मुंह

8वीं सदी क क्षतिग्रस्‍त मूर्ति कए भेट सकैत अछि पूर्ण स्‍वरूप

ज्‍योति श्रीवास्‍तव
दरभंगा। मधुबनी क रहिका क महम्‍मदपुर जरहटिया मे खुदाई क दौरान बुद्ध क प्रतिमा क एकटा मुंह भेटल अछि। इ मुंह दरभंगा क महाराजा लक्ष्‍मेश्‍वर सिंह संग्रहालय मे राखल 8वीं सदी क बिना मुंह क बुद्ध प्रतिमा स मिलेत-जुलैत बुझा रहल अछि। दूनू ब्‍लैक स्‍टोन क प्रतिमा अछि आ दूनू कए जोडला पर एकटा संपूर्ण मूर्ति बनि रहल अछि। प्राप्‍त जानकारी क अनुसार संग्रहालय मे राखल मूर्ति सेहो रुद्र सिंह क कार्यकाल में महम्‍मदपुर जरहटिया मे खुदाई क दौरान भेटल छल, जेकरा कामेश्‍वर सिंह क दान स्‍वरूप भेटल धरोहर क संग संग्रहालय मे स्‍थान देल गेल अछि। जानकार कहब अछि जे संग्रहालय में राखल मूर्तिक मुंह जे ओहि खुदाई मे नहि भेट सकल छल ओ संभवत: आब भेट गेल अछि। जाहि स्‍थान पर मूर्ति क मुंह भेटल अछि ओहि ठाम पिछला तीन मास स किछु कालांतर पर खुदाई कैल जा रहल अछि। पिछला एक सप्‍ताह पूर्व ओहि ठाम एकटा तमघैल में कौरी सेहो भेटल छल। मजदूर सब तमघैल कए त फोडी देलक मुदा कौरी आपस मे बांटी रखलक। परसू जखन मूर्तिक माथ भेटल त आसपास एकर चर्च शुरू भ गेल आ लोक मूर्तिक पूजा शुरु क देलक। किछु लोक एकरा बुद्ध क मुंह बता रहल अछि त किछु एकरा विष्‍णु क मूंह बता रहल अछि, मुदा इ सर्वमान्‍य अछि जे इ स्‍थान पुरातात्विक महत्‍व क अछि आ एहि ठाम ठीक स खुदाई करेबाक चाही। एहन खुदाई स बुद्ध सर्किट क विकास संभव भ सकत आ वैशाली आ लुंबिनी मार्ग क सेहो पता लागि सकत। लेकिन सबस पहिने जरुरत अछि मूर्तिक दूनू टूकडा कए एक करबाक आ एहि प्रयास लेल सरकार कए पहल करबाक सब बाट ताकि रहल अछि।

मूर्ति
संग्रहालय मे राखल मूर्ति क शेष हिस्सा

इतिहासकार विजय झा क कहब अछि जे एहि स्‍थान क खुदाई स बौद्ध कालीन बहुत रास गप क पता चलि सकैत अछि। ओहुना एहि क्षेत्र मे धार्मिक पर्यटनक अपार संभावना अछि। एहि इलाका मे पहिनो बौद्ध स्‍तूप आ प्रतिमा सब भेट चुकल अछि। इ क्षेत्र वैशाली आ कपिलवस्‍तु दूनू क मार्ग मे अबैत अछि। चंद्रधारी संग्रहालय, दरभंगा क क्‍यूरेटर जीतेंद्र कार्यी क कहब अछि जे 8वीं आ 9वीं सदी मे मिथिला मे बौद्ध धर्म क उपस्थितिक ठोस प्रमाण अछि। अगर ठीक स एकर खुदाई आ शोध कैल जाये त मिथिला बौद्ध क एकटा पैघ विहार क रूप मे सामने आउत।

इ-समाद, इपेपर, दरभंगा, बिहार, मिथिला, मिथिला समाचार, मिथिला समाद, मैथिली समाचार, bhagalpur, bihar news, darbhanga, latest bihar news, latest maithili news, latest mithila news, maithili news, maithili newspaper, mithila news, patna, saharsa

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments

1 टिप्पणी

  1. Maithili me paidh man kush bhagel apne sabhak nik paryas chhi indrajeet rai sachiv mithila youth fedration bihar

Comments are closed.