खाली नहि होएत 10 सर्कुलर रोड

पटना । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क पिछला शासन मे आवास कए लकए बनाउल गेल नियम राजद सुप्रीमो लालू प्रसाद क काज आबि गेल। श्री कुमार पूर्व मुख्यमंत्री कए आजीवन एकटा सरकारी आवास क प्रावधान केने छलाह। एकरे आधार पर लालू-राबड़ी क 10 सर्कुलर रोड स्थित सरकारी आवास नहि खाली होएत। राबड़ी देवी क शासन मे बनल कानून क तहत पांच साल तक क लेल आवास क प्रावधान छल। पूर्व क प्रावधान क अनुसार लालू कए सरकारी आवास स वंचित होए पड़िते।
गौरतलब अछि जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क निर्णय क चुनाव क दौरान लालू प्रसाद काफी विरोध केने छलाह। ओ कहैत छलाह जे नीतीश स्वयं क लेल एहन केलथि अछि, ताकि मुख्यमंत्री नहि रहला पर आवास क सुविधा ल सकथि। एनडीए सरकार क सफाया क उम्मीद रखनिहार लालू कए आब एकर आभास भ गेल जे अगर इ कानून नहि बनिते त हुनका सरकारी आवास खाली करबाक अलावा कोनो रास्ता नहि बचल छल।

नीक वा अधलाह - ज़रूर कहू जे मोन होय

comments